सुनु सुनु रसिया एना नै बजाबू विपन बसिया

सुनु सुनु रसिया एना नै बजाबू विपन बसिया

सुनु सुनु रसिया एना नै,
बजाबू विपन बसिया।

घर के काज में मोन नै लगइए,
रही रही के श्याम आहाँ संग भगइये,
छूटल प्रितिया,
घर सँ श्याम छूटल प्रितिया,
सुनु सुनु रसिया एना नै,
बजाबू विपन बसिया।

लोक लाज कुल रीत विसरलो,
बंसी के धुन पर सब सखी दौरलौ,
टूटल रीतियां,
जग केर श्याम टूटल रीतियां,
सुनु सुनु रसिया एना नै,
बजाबू विपन बसिया।

नै नक तीर कान्हा एना नै मारु,
एना नै कान्हा आहाँ हमरा निहारु,
हसइये सखिया,
संग केर श्याम हसइये सखिया,
सुनु सुनु रसिया एना नै,
बजाबू विपन बसिया।


Vidyapati Geet ☛ सुनु सुनु रसिया आब नैं बजाबू विपिन बसिया | Sunu Sunu Rasiya | Krishna Bhajan


 
ऐसे ही अन्य भजनों के लिए आप होम पेज / गायक कलाकार के अनुसार भजनों को ढूंढें.


पसंदीदा गायकों के भजन खोजने के लिए यहाँ क्लिक करें।

Next Post Previous Post