दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं भजन
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं भजन
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं,अहाँके चरण लेल अलता लेलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।
अल्पना नै आबय हम कोना क बनेबै,
नीक हेतै मैया अपने सै लगेबै,
सोचै छलौं लाल मुदा आल ल लेलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।
डाली मे लाल फूल बैजन्ती हार छै,
गमगम पलाश पात तुलसी पथार छै,
जल्दी दर्शन आशे झटकल एलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।
दुनिया मे शांति रहै सएह हमर मोन मे,
सोझाँ पुजारिन हम बैसल छी कोन मे,
हमर बेर कखन एतै विह्वल भेलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।
अहाँके चरण लेल अलता लेलौं,
दुःख हरियौ भवानी शरण एलौं॥
दुःख हरियौ भवानी।
दुःख हरियौ भवानी | Dukh Hariyau Bhawani | #shrianu | Anushka Shakshi & Shristi Shruti | मैथिली भजन
Duhkh Hariyau Bhavaani Sharan Elaun,
Ahaanke Charan Lel Alata Lelaun,
Duhkh Hariyau Bhavaani Sharan Elaun.
Duhkh Hariyau Bhavaani.
Song : दुःख हरियौ भवानी | Dukh Hariyau Bhawani
Singer : Anushka Shakshi & Shristi Shruti ( 7992473549 , 9773940381 )
Music : Kuldeep Deepak ( 9999329034 , 9811853085 )
Lyrics : Shivkumar Jha ( Tillu )
Poster : Jiya Creations ( 92050561068 )
Video By : Jiya Creations
ऐसे ही अन्य भजन देखने के लिए कृपया होम पेज पर अवश्य विजिट करें।
Click Here To Visit Home Page